सोना सट कुनिया हो दीनानाथ
हे घूमैछा संसार
हे घूमछा संसार
सोना सट कुनिया हो दीनानाथ
हे घूमैछा संसार
हे घूमैछा संसार

आन दिन उगै छा हो दीनानाथ
आहे भोर भिनसार
आहे भोर भिनसार

आजू के दिनवा हो दीनानाथ
हे लागल एती बेर
हे लागल एती बेर

बाटमे भेटिए गेल गे अबला
एकटा अन्हरा पुरुष
एकटा अन्हरा पुरुष

अंखिया दिएइते गे अबला
हे लागल एती बेर
हे लागल एती बेर

बाटमे भेटिए गेल गे अबला
एकटा बाझिनिया
एकटा बाझिनिया

बालक दिएइते गे अबला
हे लागल एती बेर
हे लागल एती बेर

बाटमे भेटिए गेल गे अबला
एकटा कोडिया पुरुष
एकटा कोडिया पुरुष

कायावा की एइते गे अबला
हे लागल एती बेर
हे लागल एती बेर
हे लागल एती बेर
हे लागल एती बेर
हे लागल एती बेर

Recently Listened by

0 comments
    No comments found

:: / ::
::
/ ::

Queue