चन्दा मामा आबै दुअरिया
बौआ दै मुसकी हजरिया
झिलमिल सजै ई दुनियाँ
कोरमे लैलऽ भोर करैलऽ
बाट तकै ई झुलनियाँ

चन्दा मामा आबै दुअरिया
बौआ दै मुसकी हजरिया
झिलमिल सजै ई दुनियाँ
कोरमे लैलऽ भोर करैलऽ
बाट तकै ई झुलनियाँ

मिठका मलार लेने
बौआक यार लेने
लेने मधुर वाणी, प्रेमक खानी
ताराके नगरियासँ
चढ़िकऽ जहजियासँ
आबि जो... गे निनिया रानी आबि जो
ताराके नगरियासँ
चढ़िकऽ जहजियासँ
आबि जो.. गे निनिया रानी आबि जो
देबौ तोरा सोना, चानी आबि जो


फुलए सपनाक एक कली आँखिमे
बुलए मनमा नित शान्तिक पाँखिमे
बिसरी शुद्धि बुद्धिसभ तोरे चाँखिमे
सोरह सिंगार लेने
गुड़िया बजार लेने
सुनाबऽ पिहानी
बनाबऽ ज्ञानी
ताराके नगरियासँ
चढ़िकऽ जहजियासँ
आबि जो... गे निनिया रानी आबि जो
ताराके नगरियासँ
चढ़िकऽ जहजियासँ
आबि जो... गे निनिया रानी आबि जो
देबौ तोरा सोना, चानी आबि जो

चमकै माथमे तोरेसँ टिकुली
जीवन बगियाके तु छेँ सुन्नर तितली
चानन बनि गमकौ ठोरसँ मैथिली
आश हजार देने
सुतू पियार लेने
एना नइ कानी
बात ई मानी
ताराके नगरियासँ
चढ़िकऽ जहजियासँ
आबि जो... गे निनिया रानी आबि जो
ताराके नगरियासँ
चढ़िकऽ जहजियासँ
आबि जो... गे निनिया रानी आबि जो
देबौ तोरा सोना, चानी आबि जो


चन्दा मामा आबै दुअरिया
बौआ दै मुसकी हजरिया
झिलमिल सजै ई दुनियाँ
कोरमे लैलऽ भोर करैलऽ
बाट तकै ई झुलनियाँ

Recently Listened by

1 comments

:: / ::
::
/ ::

Queue