Bhor Bhelai ho is Oldest Maithili Song. First maithili song recorded by HMV (Now Saregama Music India) Bimla Mathur.
Voice : Anand Mishra and Bimla Mathor
Compose : Vindhyavasini Devi
Recorded at : HMV, 1948 AD
Provided by : Kislay Krishna,
गीत: भोर भेलै हो, भोर भेलाई हो सबसँ प्रथम मैथिली गीत अछि। जेकरा एचएमवी इंडिया पर रिकॉर्ड कएल गेल छल। बिमला माथुर.
आवाज़: आनन्द मिश्रा, बिमला मठोर
संगीत: विंध्यवासिनी देवी
रिकॉर्ड : एचएमवी, 1948 ई.
उपलब्धता: किसलय कृष्णा

भारे भेलै हे पिया, भिनसरबा भेलै हे
उठू ने पलंगिया तेजि, केाइलिया बोलै हे
उठबे करबै गे धनी, हम उठबे करबै के
दही ने मुरेठबा, हम कलकतबा जेबै गे
कलकतबा जयबऽ हे पिया, कलकतबा जयबऽ हे
हम बाबा के बजाइये कऽ, नैहरबा जयबऽ हे
नैहरबा जेबही गे धनी, नैहरबा जेबही गे
जतबा लागल-ए रुपैया, धैये दहिन गे
धैये जयबऽ हे पिया, हम धैये जयबऽ हे
जेहने एलिऐ बाबा घर सऽ, बनाइये देबौ गे
हम मोतीचूर के लडुआ खुआइये देबौ के
नहिये बनबै हे पिया, हम नहिये बनबै हे
जेहन एलिऐ बाबा घर सऽ, नहिये बनबै हे

Recently Listened by

0 comments
    No comments found

:: / ::
::
/ ::

Queue